मुजफ्फरपुरमे खुजल बिहारक तेसर पासपोर्ट कार्यालय

    0
    160

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक तेसर पासपोर्ट कार्यालय मुजफ्फरपुरमे खुजल अछि। अहि नव शुरूआतक बाद डाक विभाग आ विदेश विभागक पासपोर्ट बनेबाक क्षेत्रीय कार्यालय आब मुजफ्फरपुरकें प्रधान डाकघरमे संचालित होयत।

    मुजफ्फरपुरकें सांसद अजय निषाद बुधदिन नव क्षेत्रीय कार्यालयक उदघाटन केलनि। अहि मौका पर पीएमजी अशोक कुमार आ पटना पासपोर्ट कार्यालयके अधिकारी सेहो उपस्थित छलाह।

    क्षेत्रीय कार्यालयके खुलबा सं आब लोककें पटनाक चक्कर नहि काटय पड़त। उदघाटनक मौका पर बहुतो महिला आ पुरूष पासपोर्टक लेल आवेदन देलनि। कार्यालयके कर्मीक अनुसार 15 सौ रुपैया शुल्क आ आवश्यक कागजात जमा करबा पर पासपोर्ट एक महीनामे तैयार भए जाएत।

    उत्तर बिहार सं पैघ संख्यामे कुशल श्रमिक खाड़ी समेत दोसर देशमे रोजगारक लेल जाइत अछि। एहेनमे नव व्यवस्था सं लोककें लाभ भेटत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here