शिक्षिका’क संग बीईओकें अभद्रताक खिलाफ प्रदर्शन

    0
    195

    सुपौल, मिथिला मिरर: प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी पिपरा द्वारा शिक्षिकाक संग अभद्र व्यवहार व छेड़छाड़कें असफल प्रयासकें लए पंचायत नगर शिक्षक संघ प्रखंड इकाई द्वारा बृहस्पति दिन बीईओकें कृत्यक विरोध जिताओल गेल तथा बीईओ’क पुतला फूंकिकए घटनाक निंदा कएल गेल। पुतला दहन सं पूर्व पिपरा बीईओ वापस जेबाक आ भ्रष्टाचारी बीईओ’क गिरफ्तारी मांग कएल गेल।

    सुभाष चौकके समीप बीईओ’क पुतला जराओल गेल। कार्यक्रममे मौजूद जिलाध्यक्ष पंकज कुमार सिंह घटनाक निंदा करैत कहलनि जे, बीईओके अहि कुकृत्य सं मानवता शर्मसार अछि। ओ कहलनि जे, जा धरि बीईओ’क गिरफ्तारी नहि होएत टा धरि शिक्षकक आंदोलन जारी रहत। प्रखंड अध्यक्ष राजीव कुमार रंजन कहलनि जे, अहि घटना सं शिक्षिकामे दहशतक माहौल अछि।

    कार्यक्रममे शिक्षक संघक सचिव राधारमण प्रसाद, अनिल कुमार, मनीष कुमार यादव, शबा करीम, विनोद यादव, ब्रज भूषण दास, नरेन्द्र विश्वास, अखिलेश कुमार, सुमन कुमार, शंभू कुमार सहित दर्जनों शिक्षक उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here