मृतकक परिजन सं भेंट केलनि पूर्व विधायक गोपाल जी ठाकुर

    0
    224

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: पूर्व विधायक गोपाल जी ठाकुर बिरौल प्रखंडक कमलपुर गाम वार्ड सदस्य चंदन राम आ शिक्षक राम गुलाम रामक परिजन सं भेंट कय सांत्वना देलनि। ज्ञात हो कि मोटरसाइकिल दुर्घटनामे अहि दुनूकें मौत भए गेल छल।

    ओतहि विधायक प्रशासन द्वारा मृतकक परिजनकें सुधि नहि लेबा पर दु:ख व्यक्त केलनि। ओ अहि संबंधमे दरभंगाके डीडीसी सं बात केलनि ओकरा बाद प्रखंड विकास पदाधिकारी मृतकक परिवार सं भेंट करबाक लेल पहुंचलाह आ कबीर अंतेष्टी योजनाके तहत 3 हजार रुपैया प्रदान केलनि।

    पूर्व विधायकके संग भाजपा मंडल अध्यक्ष राजकुमार सहनी, मुखिया पल्लवी कुमारी, पंकज सिंह, कुणाल सिंह, राम कुमार ठाकुर सहित अन्य बहुतो गोटे मौजूद छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here