मुजफ्फरपुरमे शराबक संग महिला तस्कर गिरफ्तार

    0
    189

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारकें मुजफ्फरपुरमे महिलाक मददि सं शराबक तस्करी कएल जा रहल छल। जिलाक शराब माफिया आब लगातार भए रहल छापेमारी सं अप्पन कार्य पद्धति बदलि देलक अछि। आ आब महिलाक उपयोग शराब पहुंचेबाक लेल करय लागल अछि।

    मामलाक खुलासा तहन भेल जहन मिठनपुरा थाना क्षेत्रके चंदवारा माडवारी हाईस्कूलके समीप देर राति बिना नंबरक मोटर साइकिल उत्पाद विभागक टीमकें देखिकय भागय लागल। पाछु केलाक बाद मोटर साइकिल सवार महिला आ एकटा पुरूषके बोराकें चेक करबा पर पांच कार्टून विदेशी शराब बरामद कएल गेल।

    गिरफ्तार महिला आ पुरूष अहियारपुर थाना क्षेत्रक रहय वला बताओल जा रहल अछि। मुजफ्फरपुरमे ई पहिल घटना अछि जहन कोनो महिलाक गिरफ्तारी शराबक कोरियरके रूपमे भेल हो। उत्पाद अधीक्षक कहलनि जे, शराबक तस्करीमे महिला आ बच्चाकें लगाओल जा रहल अछि।

    ओतहि दोसर दिस सकरा थाना क्षेत्रमे पिकअप पर लोड 125 कार्टून शराब व बीयर पकड़ल गेल अछि। जकर अनुमानित कीमत करीब 25 लाख रुपैया बताओल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here