मैट्रिक परीक्षा पेपर लीक मामलामे समस्तीपुर सं हेडमास्टर समेत दू गोटे गिरफ्तार

    0
    232

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुरमे मैट्रिक परीक्षाकें पहिने दिन प्रश्नपत्र लीक हेबाक मामलामे जिला प्रशासन हरकतमे आबि गेल अछि। पुलिस मामलाक जांचक बाद एकटा स्कूलक हेडमास्टर आ कोचिंग संचालककें गिरफ्तार केलक अछि।

    जिलामे मैट्रिकक परीक्षाक पहल दिन दुनू पालिमे प्रश्नपत्र लीक भेल छल। अहि मामलामे राज्य स्तर सं संज्ञान लेल गेल छल। घटनाक जांचक लेल जिलाधिकारी एसआईटी’क गठन केने छलाह। सदर एसडीओ आ डीएसपीके नेतृत्वमे गठित एसआईटी जहन सोशल मीडिया पर वायरल प्रश्नपत्रक जांच केलक त मामला सं पर्दा हटय लागल।

    जांचके दौरान ई बात सामने आयल जे, परीक्षा शुरू हेबा सं पहिने किछु शिक्षा माफिया आ शिक्षा विभागक अधिकारी आ कर्मीक मिलीभगत सं प्रश्नपत्रक तस्वीर खींच कय लीक कएल गेल। लीक प्रश्नक उत्तर तैयार करबाक बाद फेर सं सोशल मीडियाके माध्यम सं परीक्षा केंद्रके अंदर पठाओल गेल।

    पेपर लीक करबामे शिक्षा विभागक अधिकारी, जिला शिक्षा अधिकारी कार्यालयमे प्रतिनियुक्त एकटा हेडमास्टर आ शहरमे संचालित एकटा कोचिंगके निदेशक समेत बहुतो शिक्षा माफियाक भूमिका सामने आयल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here