विज्ञान एवं कला प्रदर्शनीमे बच्चा सबह’क प्रतिभा निखरल

    0
    169

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक इकरा एकेडमीमे विज्ञान एवं कला प्रदर्शनीमे बच्चा सब विज्ञान एवं कला प्रदर्शनीके माध्यम सं अप्पन प्रतिभाकें लोहा मनबौलक। दोसर कक्षाक कहकशा, मजहबी, फातमा आरफाके इलेक्ट्रो मैगनेटिक क्रेनके मॉडल भविष्यमे भारी वस्तुक ढुलाईकें आसान राह देखबैत अछि। नौवीं कक्षाके जकी अनवर, मो. अब्दुल्लाह, फिराज सिद्दिकी एवं सैफुर रहमान बाढ़ि ग्रस्त क्षेत्रक लेल मोबाइल पुल एवं हाईड्रोलिक क्रेनक मॉडल तैयार कय बाढ़ि पीड़िकें सुविधा पहुंचेबाक नव राह देखबैत अछि।

    ओतहि आठम कक्षाक शिखा डॉक्टर बनि कय लोकक कष्ट दूर करबाक सपना देखि रहली, मुदा भारतीय आयुध विज्ञानमे सेहो रूची रखैत छथि। यैह कारण छल जे, शिखा विशेष अत्याधुनिक आइएनएस विक्रांताक मॉडल बनाकय अप्पन बहुआयामी प्रतिभाक प्रदर्शन केलनि। आठवीं कक्षाक आयुष कुमार हाइड्रो इलेक्टिकके मॉडलक माध्यम सं बिहारमे हाइड्रो इलेक्ट्रिक पावरक अपार संभावनाकें रेखांकित केलनि।

    पानिक घटैत स्त्रोत एवं बढ़ैत जरूरतकें पूरा करबाक लेल मोबश्शीर, रिफअत, जीशान, सादुल्लाह, मेराज वाटर ट्रीटमेंट प्लांटक आवश्यकता देखबैत मॉडलक प्रदर्शन केलनि। ओतहि कला प्रदर्शनीमे सेहो बच्चा सब उत्कृष्ट कलाक प्रदर्शन केलनि। कार्यक्रमके मुख्य अतिथि डीईओ डा. सुधीर कुमार झा कार्यक्रमक उदघाटन केलनि। अहि अवसवर पर ओ कहलनि जे, बच्चाक सृजन शक्तिकें बढेबाक लेल एहेन आयोजन बहुत जरूरी अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here