अगिलग्गीमे चारि टा घर जरि कए खाक, डेढ़ लाखक संपत्ति’क नाश

    0
    250

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: प्रखंडक बनौल गाममे शनिदिन 10 बजे दिनमे आगि लगला सं चारि गोटेक घर सहित डेढ़ लाख रुपैयाक संपत्ति जरिकय नाश भए गेल। जानकारीके अनुसार बनौल गामक निवासी सुधीर शर्माके घरमे अचानक आगि लागि गेल। जाहि सं घरमे बान्हल एकटा बकरी सेहो झरकि गेल। आगिक लपेट देखितहि देखितहि पड़ोसक राम सज्जन शर्मा, हमोद शर्मा एवं सिकंदर शर्माके घरमे सेहो पकड़ि लेलक।

    घटनामे सब सं अधिक नुकसान सुधीर शर्माकें भेल अछि। घटनाकें समय घरक पुरुष सदस्य बढ़ईकें काज करबाक लेल गेल छल। घरक किछु महिला सेहो काज करबाक लेल खेत गेल छल। आस-पड़ोसक लोक द्वारा हल्ला केलाक बाद जमा भेल ग्रामीण चापाकल सं पानि पटाकय आगि पर काबू करबाक कोशिश केलक। मुदा ता धरि घर पूर्ण रूप सं जरि गेल छल। घटनास्थल पर मौजूद सुधीर शर्माक पत्नी पुनीता देवी कहलनि जे, आगि कोना लागल तकर कोनो भांज नहि लागल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here