एकहि रातिमे पांच घर सं पच्चीस लाख’क चोरी

    0
    189

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत पुनहद गाममे बृहस्पति दिन राति पांच टा घरकें निशाना बनेलक आ पच्चीस लाखक सामान चोरा लेलक। कहल जा रहल अछि जे, चोरीके वारदातक समय कौशल सिंह, विनय सिंह, रणवीर सिंह, शिवनाथ सिंह, प्रतिभा देवी सब अप्पन घरमे ताला लगा कए गाम सं बाहर गेल छल।

    रातिमे चोर ताला तोड़िकय सबहक घरमे डाका दैत 25 लाखक समान लए गेल। सूत्रक अनुसार, विनय कुमार सिंहके घर सं लगभग 5 लाखक सोना-चांदीक जेबर चोरी कएल गेल अछि, जहन कि रणधीर कुमार सिंह’क घर सं 2 लाखक सोना-चांदीक जेबरात लए गेल। जहन की शिवनाथ सिंहक घर सं चांदीक बनल लगभग 2 लाखक मूर्ति लए गेल।

    एकहि रातिमे भेल अहि चोरी सं गामक लोक घबराहटमे अछि। घनश्यामपुर पुलिस अहि मामलाक जाँच पड़तालमे जुटल अक्सग्गी।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here