ट्रक सं कुचलि कए एकहि परिवार’क तीन गोटेक मौत

    0
    198

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर-छपरा मार्ग स्थित करजा चौक पर बुधदिन भोरे एकटा ट्रक सं ठोकर लगला सं एकहि परिवारक तीन गोटेकेँ मौत भए गेल। अहि दर्दनाक घटनाके बाद आक्रोशित लोक सब ट्रक चालककें पकड़ि कए जमिकय पिटाई केलक। बताओल जा रहल अछि जे, मुजफ्फरपुर-छपरा मार्ग स्थित करजा चौक पर ट्रक मोटरसाइकिल सं टकरा गेल जाहिमे दू टा बच्चाक मौत घटनास्थले पर भए गेल। जहन कि गंभीर रुप सं घायल महिलाक मौत इलाजक दौरान एसकेएमसीएचमे भए गेल। मृतक छपरा जिलाक मकेर थाना क्षेत्रक पुनेर गांम निवासी बताओल जा रहल अछि।

    सूचना पर पहुंचल पुलिस चालककें बचेबाक प्रयास केलक आक्रोशित लोक पुलिस संग सेहो धक्का मुक्की केलक। स्थिति अनियंत्रित हेबाक सूचना पर बहुतो थानाक पुलिस मौका पर पहुंचल। लोककें तत्काल समझा कय मामलाकें शांत कराओल गेल।

    ग्रामीणक अनुसार, मनोज खलीफा अप्पन सासुर मड़वन प्रखंडक बोरबाड़ा गाम सं अप्पन गाम पुनेर मोटरसाइकिल सं जा रहल छल। मोटरसाइकिल पर पत्नी आ दू टा बच्चा सवार छल। करजा चौककें समीप विपरीत दिशा सं आबि रहल ट्रक मोटरसाइकिलमे ठोकर मारि देलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here