पहिल दिन शांतिपूर्ण आ कदाचारमुक्त भेल मैट्रिकक परीक्षा

    0
    220

    मधुबनी।, मिथिला मिरर: बुधदिन जिलाक 72 परीक्षा केंद्र पर मैट्रिककें परीक्षा शुरू भेल। सब परीक्षा केंद्र पर परीक्षा सं संबंधित सामग्री समय सं पहुंचा देल गेल छल। बुधदिन शुरू होबय वला परीक्षामे अहि बेर कुल 72436 परीक्षार्थी सम्मिलित भय रहल छथि। जाहिकें लेल कुल 72 परीक्षा केंद्र बनाओल गेल अछि। परीक्षामे लड़कीक संख्या लड़काक संख्या सं अधिक अछि। जिला शिक्षा पदाधिकारी अहसनके अनुसार बुधदिन कोनो परीक्षा केंद्र सं कोनो तरहक परीक्षार्थीके कदाचारक आरोपमे निष्कासन नहि कएल गेल।

    परीक्षा कदाचारमुक्त संपन्न करेबाक लेल पेट्रोलिंग व्यवस्थाक संग केंद्र पर सशस्त्र बलक तैनाती कएल गेल अछि। परीक्षा केंद्र पर आवाजाही सुगम बनेबाक लेल परीक्षा शुरू होबय सं पहिने आ समाप्त होबय तक ट्रैफिकक विशेष व्यवस्था ध्वस्त देखल गेल। नगरक सब बाइपास जाम सं प्रभावित रहल।

    प्रथम पालीमे नगर परिषद सड़क जाहिमे मदरसा इस्लामियांमे परीक्षा केंद्र बनाओल गेल अछि, जामक स्थिति एहेन छल जे, परीक्षा शुरू हेबा सं दस मिनट तक भीषण जामक स्थिति रहल। एतय कोनो ट्रैफिक पुलिस जाम हटेबाक लेल नहि छल। यैह हाल मुख्य सड़कके कात वाटसन, सेंट्रल पब्लिक स्कूलके सामने देखल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here