मधुबनीमे कारबाईनकें संग पकड़ल गेल हत्यारा

    0
    200

    मधुबनी,मिथिला मिरर: बिहारक मधुबनी जिला सं पुलिस एकटा कुख्यात कांट्रेक्ट किलरकें गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस शत्रुघ्न यादव नामक अहि अपराधीके संग सं लोड कएल कारबाइन बरामद केलक अछि। पुलिस अधीक्षक कप्तान दीपक वरनवाल कहलनि जे, शत्रुघ्न यादव लदनियामे ईंटा भट्टा मालिक’क जयनगरमे एक महीना पूर्व दिनदहाड़े हत्या केने छल। एकरा पर हत्या, पेट्रोल पम्प लूट समेत दर्जनो अपराधक मामले दर्ज अछि।

    दस दिन पूर्व ज्वेलर्सके हाथ सं गहना सं भरल बैग छीन कय भगबाक सेहो शत्रुघ्न पर आरोपी छल। पुलिस अधीक्षक दीपक बरनवाल कहलनि जे, चारि टा अपराधीके एक संग हेबाक सूचना भेटल छल। अहि दौरान सब पुलिसकें देखि कय भागय लागल। अहि क्रममे शत्रुघ्न यादव मोटरसाइकिल सं खसि पड़ल आ पुलिस शत्रुघ्नके गिरफ्तार केलक। आपराधिक मुख्य कारोबार जमीन बेचब छल। ओ हथियार खरीदबाक लेल डकैती आ लूटक घटनाकें अंजाम दैत छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here