मधुबनी समाहरणालयकें समक्ष आंगनबाड़ी सेविका-सहायिका’क धरना प्रदर्शन

    0
    224

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार आंगनबाड़ी कर्मचारी संघ सात सूत्री मांगकें लय मधुबनी समाहरणालयक समक्ष जिलाध्यक्ष प्रमिला पूर्वे’क अध्यक्षतामे धरना प्रदर्शन केलक। सभाकें संबोधित करैत जिलाध्यक्ष कहलनि जे, राज्य सरकार सेविका सहायिकाक जीवन मजदूर सं बदतर बना देने अछि। ओ कहलनि जे, बिहारमे अफसरशाही चरम सीमा पर अछि। भौतिक सत्यापनक नाम पर आरोप लगाकय सेविका सं नाजायज राशि’क वसूली कएल जाइत अछि।

    सरकारक निर्देशके बावजूद सेविका सहायिकाकें बीमा सं वंचित राखल गेल अछि। देशमे सब राज्यमे सेविका सहायिकाकें अतिरिक्त सहायता राशि देल जाइत अछि। ओ कहलनि जे, संघक कार्यकारिणी द्वारा निर्णय लेल गेल अछि जे, जा धरि छह सूत्री मांग पर विचार नहि होएत टा धरि सब सेविका समाज कल्याण विभाग आईसीडीएस द्वारा निर्धारित मात्र छह टा काज करत। ओ कहलनि जे, अनिश्चितकालीन हड़ताल 27 मार्च सं पटनामे शुरू कएल जाएत। जाहिमे जिलाक सब प्रखंडक सेविका सहायिका भाग लेतीह। मौका पर एकटा शिष्टमंडल जिला समाहर्ताकें सात सूत्री मांगक ज्ञापन देलनि।

    धरना प्रदर्शनके मौका पर सचिव रीता पांडे, उपाध्यक्ष रश्मि रंजन, राधा देवी, आरती देवी, वीणा दास, रम्मी देवी, सीता देवी, रेणु पासवान, राजकुमारी देवी, मीना देवी, लाल दाई, सुशीला देवी, लीला देवी, अंजली कुमारी, सविता कुमारी, उषा देव, पूनम देवी, विपिन कुमार पांडेय, शंभुनाथ ठाकुर सहित बहूतो अन्य सेविका शामिल छलीह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here