एबीवीपी’क कार्यकर्ता देलक डीईओ कार्यालयकें समक्ष धरना

    0
    215

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदकें स्थानीय कार्यकर्ता इंटरकें छात्रा पर गलत प्राथमिकीक विरोधमे जिला शिक्षा पदाधिकारीके समझ धरना देलक। प्रदर्शनके दौरान पार्टी कार्यकर्ता द्वारा जिला शिक्षा पदाधिकारीकें एकटा आवेदन देलक, जाहिमे बताओल गेल जे, इंटर परीक्षाके दौरान स्थानीय राजकिय मध्य विद्यालय शंभुपट्टीके केन्द्राधीक्षक द्वारा निशा कुमारी नामक परीक्षार्थीकें 17 फरवरी कय प्रथम पालीक परीक्षामे उत्तरपुस्तिका गायब करबाक प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। जकर क्रमांक संख्या 17020017 व रोल कोड 53033 अछि।

    जिला शिक्षा पदाधिकारीकें देल गेल आवेदनमे परीक्षार्थी पर लगाओल गेल आरोपकें बेबुनियाद बताओल गेल अछि। संगहि बताओल गेल जे, वीक्षकक लापरवाहीके कारण उत्तर पुस्तिका गायब भेल छल। छात्राकें निर्दोष बतबैत दोषीकर्मीके खिलाफ कारवाईक मांग कएल गेल।

    प्रदर्शनक नेतृत्व पार्टीके प्रदेश कार्य समिति सदस्य अक्षय कुमार केलनि। मौका पर पर नगर मंत्री रामप्रवेश कुमार, आदित्य कुमार, राकेश यादव, प्रियरंजन, वंदना कुमारी, निमिता कुमारी, रामधनी कुमार, निशांत कुमार, कन्हैया कुमार, कैलाश झा, आदि लोक मौजूद छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here