कुढ़नीमे खुजि रहल अछि 100 बेडक अस्पताल

    0
    227

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कर्मचारी राज्य बीमा निगम सं लोककें बहुत जल्दी 100 बेडक अस्पताल भेटय जा रहल अछि। अहिक लेल कुढ़नीके समीप जमीनक चयन कय लेल गेल अछि। मुख्यालयके सूचित कएल गेल अछि। बहुत जल्दी स्वीकृति भेटलाक बाद निर्माणक काज शुरू कएल जायत।

    निगम दिस सं स्थानीय होटलमे आयोजित सेमिनारमे उपनिदेशक राधेश्याम प्रसाद कहलनि जे, कर्मचारी कें लाभ दिएनाई संस्थानक मुख्य लक्ष्य अछि। जे, प्राइवेट संस्थान समय पर कर्मचारीक निबंधन नहि कराओत ओकर जाँच होएत। पकड़ल गेला पर जुर्माना लगाओल जाएत। मौका पर वरीय चिकित्सक डॉ. डीपी सिंह, सहायक उपनिदेशक जयंत कुमार, एनके सिन्हा अप्पन विचार रखलाह।

    एखन 16 जिलामे ई सुविधा बीमित कर्मचारीकें भेटि रहल अछि। 31 मार्च सं एकर विस्तार बिहारके सब 38 जिलामे कएल जाएत। निजी स्कूल, कॉलेज, हॉस्पीटल, होटल व अन्य छोट-छोट व्यवसाय एकर दायरामे अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here