दरभंगामे ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियन’ द्वारा विचार गोष्ठी आयोजित

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सोमदिन लहेरियासराय स्थित पोलो मैदानमे ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियन’ द्वारा सहादत दिवसकें अवसर पर विचार गोष्ठी’क आयोजन कएल। विचार गोष्ठीक शुरुआत शहीद चन्द्रशेखर आजाद’क छायाचित्र पर माल्यार्पण कय कएल गेल। गोष्ठीक अध्यक्षता करैत संस्थाक बिहार प्रभारी अभिनाश भरद्वाज वीर आजादक जीवनकें प्रमुख पहल पर प्रकाश दैत सद्यस्य सं कहलनि जे, हमरा वीर आजाद सं प्रेरणा लय कय मातृभूमी’क रक्षाके लेल संकल्पित हेबाक चाही।

    गोष्ठीकें संबोधित करैत राष्ट्रीय सचिव विद्याभूषण रॉय कहलनि जे, वीर चंद्रशेखर आजाद हमरा सबकें प्रेरणा स्रोत छथि। ओ कहलनि जे, आजाद अप्पन अंतिम सांस तक देशक लेल लड़ैत रहलाह आ अप्पन सपथकें अनुरूप अंग्रेजके हाथ नहि एलाह। ओतहि गोष्ठीमे उपस्थित क्रन्तिकारी कवी सागर नवदिया क्रांति’क कविताक वाचन केलनि।

    ओतहि गोष्ठीमे मौजूद नीरज शेखर कहलनि जे, आजाद मात्र 14 वर्षक उम्रमे घरक त्याग कय स्वतंत्रता आंदोलनमे कूदि पड़ल छलाह। हुनकर सब सं पहिल बेर गिरफ्तारी गांधीजीक संग असहयोग आंदोलनक दौरान भेल छल।

    गोष्ठीक सञ्चालन करैत महानपुरुषक विषयमे बारीकी सं बतौलनि आ युवाकें हुनकर आदर्श चिन्ह पर चलबाक लेल प्रेरित कए रहल अछि। अहि गोष्ठीमे अमित सिंह, अमित ठाकुर, बालकृष्ण मिश्रा, नीकिता गुप्ता, उमंग चौधरी समेत दर्जनो लोक उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here