मधुबनीमे सफल प्रतिभागीकें पुरस्कृत कएल गेल

    0
    271

    मधुबनी, मैथिल मिरर: जिला स्तर पर आयोजित पुलिस सप्ताहकें छठम दिन ‘रन फॉर पीसकें’ आयोजन कएल गेल। पुलिस केंद्र परिसरमे एसपी दीपक बरनवाल ने ‘रन फॉर पीसकें’ झंडा देखेलनि। अहि मौक़ा पर बहुतो पुलिस पदाधिकारी उपस्थित छलाह। बादमे पुलिस सप्ताहके समापन पर नगर थाना परिसरमे एसपी दीपक बरनवालक अध्यक्षतामे पुरस्कार वितरण समारोहक आयोजन कएल गेल। अहि समारोहक संचालन मनीष कुमार केलनि।

    समारोहमे नवीन जायसवाल, प्रह्लाद पूर्वे, जटाधर पासवान, मेजर कल्पनाथ सिंह, नगर थानाध्यक्ष अरूण कुमार राय समेत बहुतो पुलिस पदाधिकारी, गणमान्य व्यक्ति, प्रतिभागी आदि उपस्थित छल। समारोहमे एसपी दीपक बरनवाल खेलक महत्ता व उद्देश्य पर प्रकाश देलनि। पुलिस सप्ताहक आयोजनके उद्देश्य पर सेहो ओ अप्पन विचार व्यक्त केलनि। समारोहमे एसपी पुलिस सप्ताहकें दौरान विभिन्न तिथि’क आयोजित कार्यक्रममे प्रथम तीन स्थान प्राप्त करय वला प्रतिभागीकें पुरस्कृत केलनि।

    अन्य प्रतिभागीकें सेहो प्रशस्ति पत्र देल गेल। उल्लेखनीय अछि जे, पुलिस सप्ताहक दौरान क्रिकेट मैच, वॉलीबाल मैच, वाद-विवाद प्रतियोगिता, पेंटिंग व निबंध प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल छल। पेंटिग प्रतियोगितामे इंडियन पब्लिक स्कूल के निशा कुमारीकें प्रथम, शिवम शेखरकें द्वितीय व अब्दुल खालिककें तृतीय स्थान भेटलनि। अहि तरहे निबंध प्रतियोगितामे इंडियन पब्लिक स्कूलके अनामिकाकें प्रथम, नयन राजकें द्वितीय व सेंट्रल पब्लिक स्कूलके श्रवण कुमार पंडितकें तृतीय पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here