मधुबनीमे 427 बोतल शराबक संग तस्कर गिरफ्तार

    0
    189

    मधुबनी, मिथिला मिरर: हरलाखीमे भारत-नेपाल सीमा पर तैनात पिपरौन एसएसबी कैम्पक जवान गुप्त सूचनाक आधार पर छापेमारी कय 427 बोतल नेपाली देसी व विदेशी शराबकें संग एकटा तस्करकें गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार तस्करक पहचान नेपालकें धनुषा जिलाक जटही गाम निवासी गोविन्द यादवकें रूपमे कएल गेल अछि।

    जानकारीक अनुसार नेपाल सं किछु तस्कर भारी मात्रामे शराब लय दुर्गापट्टी सीमा सं शराब उमगांव आनि रहल छल। जकर गुप्त सूचना भेटलाक बाद एसएसबी मुख्य आरक्षी शशिकांत अशोक शिंदे, उमेश कुमार सादा, राजीव कुमार व इश्वर रावकें नेतृत्वमे जवान कार्रवाई कय शराबक संग एकटा तस्करकें गिरफ्तार केलक। जहन कि बहुतो तस्कर शराबक कार्टून फेंक कय नेपाल सीमामे प्रवेश कय गेल।

    एसएसबीके जब्ती सूचीक अनुसार तस्करीके सब शराब उमगांव निवासी प्रमोद यादवकें बताओल गेल अछि। जकर इशारा पर शराबक तस्करी कएल जा रहल छल। जानकारी दैत पिपरौन एसएसबी कंपनी इंचार्ज पीसी दास कहलनि जे, जब्त शराब व तस्करकें मधुबनी उत्पाद पुलिसक हवाले कय देल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here