रस्ताक अभावमे थाल-खीचमे चलिकय विद्यालय जेबाक लेल बाध्यता

    0
    185

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत पाली गामक राजकीय प्राथमिक विद्यालय धरि जेबाक लेल एखन धरि कोनो रस्ता नहि अछि। एतयके छात्र छात्रा व शिक्षक खेत खलिहान होइत विद्यालय तक जेबाक लेल मजबूर छथि। सरकार द्वारा स्कूल निर्माण काज त कराओल गेल मुदा रस्ताक कोनो उपाय नहि कएल गेल।

    ग्रामीण द्वारा जहन अहि बातक सूचना जनप्रतिनिधिकें देल गेल त प्रखंडके उप-प्रमुख नसर नवाब रस्ताक परेशानी देखबाक लेल विद्यालय पहुँचलाह। उप-प्रमुख नसर नावाब द्वारा विद्यालयक निरिक्षणके बाद आश्वासन देल गेल जे, स्कूलके जल्दी अहि समस्या सं छुटकारा भेटत।

    प्रखंड उप-प्रमुख नसर नवाब, पाली पंचायत पूर्व उप-मुखिया हसन जाहिद मिठू, वसीम जावेद, मो० जफ़र आलम, आदि विद्यालय स्थल पर मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here