समस्तीपुरकें दू गोल सं हरेलक दलसिंहसराय

    0
    253

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: स्थानीय छात्रधारी इंटर विद्यालयमे रविदिन पुलिस सप्ताहकें मौका पर समस्तीपुर आ दलसिंहसरायके बीच एक दिवसीय फुटबाल मैच खेलल गेल। जाहिकें दोसर हाफके अंतिम मिनटमे समस्तीपुर पर दबाव बनबैत दलसिंहसराय दू गोल कय बढ़त बना लेलक। समस्तीपुरक टीम समय समाप्ति तक एक्को टा गोल नहि कए सकल। जाहि सं दलसिंहसराय दू गोल सं जीत हासिल करबामे सफल रहल।

    अहि सं पहिने स्थानीय जन प्रतिनिधि आ पुलिस प्रशासनक बीच एकटा फैंसी मैच खेलल गेल। अहि मैचक उद्घाटन एएसपी संतोष कुमार केलनि। अहि दौरान ओ खिलाडीक संबोधित करैत कहलनि जे, अहि मैचक आयोजनक मुख्य उद्देश्य पुलिस आ जनप्रतिनिधि एवं पब्लिकके बीच सौहार्द पूर्ण संबंध स्थापित करब अछि।

    ओ कहलनि जे, पुलिस तखनहि अप्पन क्षेत्रमे शांति व्यवस्था आ अपराध नियंत्रण पर काज कय सकत जहन जन प्रतिनिधिक संग-संग पब्लिककें सहयोग भेटत। अहि दौरान खेलल गेल मैचमे निर्धारित समय तक दुनू टीम द्वारा एक्को टा गोल नहि भेल। जाहि कारने दुनू टीमकें संयुक्त विजेता घोषित कएल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here