शिलान्यासक बादो नहि भए रहल सिकटीकें अहि सड़कक उद्धार

    0
    221

    अररिया, मिथिला मिरर-अभिषेक कुमार चौधरी: ‘बढ़ता बिहार’ आ ‘मेरा देश बदल रहा हैकें’ नाराक बीच ई तस्वीर बिहारक अररिया जिलाकें सिकटी प्रखंड दिस जाए वला एबीएम सिकटी पथ’क अछि। अहि सड़कक बदहालीक कहानी आय सं नहि बल्कि दू दशक सं चलि रहल अछि। 25 किमी लंबा सामरिक दृष्टिकोण सं अतिमहत्वपूर्ण अहि सड़ककें नेता सब बहुतो बेर शिलान्यास केलनि। मुदा एखन धरि ई सड़क बेहाल अछि। स्तिथि ई अछि जे, सिकटी प्रखंडक लाखो लोककें जिला मुख्यालय जेबाक लेल 65 किमी घूमि कय जाए पड़ैत अछि।

    तत्कालीन सांसद शाहनवाज हुसैन एवम् देशक तत्कालीन रक्षा मंत्री जार्ज फर्नांडिस अहि सड़कक शिलान्यास सैनिक सड़ककें रूपमे कय चुकल छथि। अहि सड़कमे एकटा रानी पुल अछि जे, 2014के बाढ़िमे टूटि गेल छल मुदा तहिया सं लय कय एखन धरि पुलक काज अधूरा पड़ल अछि। लोक सब नाव-चचरीक सहारा लेबाक लेल मजबूर अछि। पिछला किछु साल सं एतयक़े लोक सड़क सड़क सं लय कय सोशल मीडिया धरि लड़ाई लड़ि रहल अछि।

    जिलाधिकारीकें दर्जनो आवेदन देल गेल अछि। बात मुख्यमंत्री कार्यलय सं प्रधानमंत्री कार्यालय धरि पहुँच चुकल अछि। सब ठाम सं सिर्फ आस्वाशन भेटल। एतयकें विधायक अप्पन क्षेत्रक लेल सड़कक लड़ाई लड़ि रहल विनय विहारीक धरनामे शामिल त होईत छथि मुदा क्षेत्रक विषयमे आवाज उठेनाइ बिसरि जाइत छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here