मुजफ्फरपुरमे बहुतो लोककें घायल केलाक बाद पकड़ल गेल तेंदुआ

    0
    208

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कुढऩी प्रखंडक मनियारी थाना क्षेत्रकें छितरौलीमे शुक्रदिन तेंदुआक  हमलामे एक दर्जन सं अधिक ग्रामीण जख्मी भए गेल। घायलमे दया सहनी, चंद्रकेतु उर्फ चंदू, मुकेश सिंह, मुंडन सहनी सहित अन्य शामिल अछि। अहिमे चंदू अधिक जख्मी बताओल जा रहल अछि। सूचना पर पहुंचल वन विभाग व पटना चिडिय़ाघर सं ट्रैकुलाइजर गनके संग सात विशेषज्ञक टीम करीब एक घंटाक मशक्कतके बाद ग्रामीणक सहयोग सं तेंदुआके पकड़लक। वन अधिकारिक कहब अछि जे, तेंदुआ पश्चिमी चंपारणके वाल्मिकीनगर टाइगर रिजर्व सं भटकैत-भटकैत एतय पहुंचल अछि।

    जख्मी चंद्रकेतु उर्फ चंदूके अनुसार कदाने नदीक समीप टहलि रहल छलहुँ, ओतहि एकटा महिला कहलक जे ओम्हर नहि जाऊ, ओम्हर बाघ जेना एकटा जंगली जानवर घूमि रहल अछि। हम उत्सुकतावश ओकरा देखय गेलहुँ कि हाथ, पीठ व पैर पर पंजा सं हमला कय जख्मी कय देलक। अहिके बाद दया, मुकेश व मुंडन के सेहो हमला कय जख्मी कय देलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here