बेगूसरायमे सरकारक विरोधमे शिक्षकक मशाल जुलूस निकालल गेल

    0
    204

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघकें बैनर तर बृहस्पति दिन शिक्षक सब जेके इंटर स्कूलके समीप सं राज्य सरकारक विरोधमे मशाल जुलूस निकाललनि। अहि जुलूसक नेतृत्व जिलाध्यक्ष साकेत सुमन आ प्रधान सचिव राम कल्याण पासवान कय रहल छलाह। ई जुलूस जेके सं निकलिकय ट्रैफिक चौक, कचहरी चौक आ थाना चौक होईत समाहरणालय पर पहुंचकय सभामे बदलि गेल। अहि दौरान जुलूसमे शामिल शिक्षक सरकारके विरोधमे जमिकय नारेबाजी कय रहल छलाह।

    सभाकें संबोधित करैत जिलाध्यक्ष साकेत सुमन सरकार पर नियोजित शिक्षकके संग सौतेला व्यवहार करबाक आरोप लगेलनि। ओ कहलनि जे, सरकार शिक्षा आ शिक्षक विरोधी नीतिक कोपभाजन नियोजित शिक्षक बनल अछि। जिला प्रधान सचिव रामकल्याण पासवान कहलनि जे, समान काजक समान वेतन नियोजित शिक्षककें संवैधानिक अधिकार अछि।

    नियोजित शिक्षक अप्पन संवैधानिक अधिकारक प्राप्तिके लेल किछु कय सकैत अछि। आय नियोजित शिक्षक सरकारक दोहरी नीतिके कारण समान काज करैत मूलभूत सुविधा सं वंचित अछि। ओ मांगक पूर्तिके लेल 27 फरवरी सं अनिश्चितकालीन विधानसभा घेरावक घोषणा केलनि।

    मौका पर सुरेश राय, चंदन, रंजीत, उपेंद्र चौधरी, टुनटुन, अपन पांडव, अभिनव, मोहन, दिलीप झा, विनय, मनोज, मो. इसमत, गंगाधर, अरविद, मनोज, अनिल, रवि, नीरज, शहजाद अंजुम, संजय, अमित, रामप्रवेश, साकेत, मो. इकरामुल, राकेश, विशेश्वर, सुमन, कुणाल, मो. इरफान आदि संबोधित केलनि।

    फोटो: काल्पनिक

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here