फारवार्ड ब्लॉक’क अनशन लगातार तेसर दिन जारी

    0
    190

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्रखंड मुख्यालय स्थित पंचायत समिति भवनकें समक्ष सभा मंच पर पंचायतक योजनामे भेल धांधलीक जांच तथा कार्रवाईक मांगकें लय सोमदिन सं ऑल इंडिया फारवार्ड ब्लॉकक मालती शाखाकें तत्वावधानमे कार्यकर्ता द्वारा शुरू अनशन बुधदिन सेहो जारी रहल। ओतहि प्रखंड प्रशासन द्वारा मांग पर पहल कय अनशन तोडबामे कएल जा रहल लापरवाहीक लेल कार्यकर्तामे आक्रोश बढ़ि रहल अछि।

    कार्यकर्ता प्रखंड तथा अनुमंडल प्रशासनक पुतला जरा कय एनएच 28कें जाम करबाक निर्णय लेलक अछि। कार्यकर्ताक 14 सूत्री मांगमे मालती पंचायतक पूर्व मुखिया व पंचायत सचिव पर चतुर्थ वित्त आयोगक 10 लाख राशि गबन करबाक उच्चस्तरीय जांचक मांग, मनरेगा भवन निर्माणके नाम पर 5 लाख राशिक निकासी कय काज नहि करबाक दोषीक खिलाफ कार्रवाई करबाक मांग, मजदूरक बकाया मजदूरीक भुगतानसहित पंचायतक अन्य योजनाक गहन जांच करेबाक मांग शामिल अछि।

    अहि मांगक लेल दीपनारायण पासवान, वार्ड सदस्य अविनाश कुमार सिंह, विजय पासवान, मो शमीम तथा पकौड़ी पासवान अनशन पर बैसल छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here