बिहार कांग्रेस उपाध्यकक्ष सेक्स् रैकेट संचालनक आरोपकें बाद देलनि इस्तीफा

    0
    261

    पटना, मिथिला मिरर: प्रदेश कांग्रेस उपाध्यक्ष ब्रजेश पांडेय मंगलदिन साँझमे पार्टी सं इस्तीफा दय देलनि। एकटा कांग्रेस नेता व पूर्व मंत्रीक बेटीके संग छेड़खानी, यौन शोषण व दुष्कर्मकें मामलामे आरोप सं घेराओल ब्रजेश फिलहाल भूमिगत छथि।

    ज्ञात हो कि पटनाके चर्चित ऑटो कारोबारी निखिल प्रियदर्शी पर एकटा पूर्व मंत्रीक बेटी यौन शोषण व दुष्कर्मक आरोप लगेलनि अछि। लड़कीकें अनुसार निखिल हाई प्राफाइल सेक्स रैकेट चलाबैत छल। जाहिमे हुनकर दोस्त संजीत आ ब्रजेश पांडेय सहयोगी छलाह। लड़कीके अनुसार ब्रजेश सेहो दुष्कर्म केने छलाह।

    बताओल जा रहल अछि जे, अहि हाई प्रोफाइल कांडमे नाम सामने इलाके बाद कांग्रेस आलाकमानक दिस सं उपाध्यक्ष ब्रजेश पांडेय सं इस्तीफा देबाक दबाव छल। सूत्रक अनुसार अहिके बाद ब्रजेश पांडेय इस्तीफा दय देलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here