ग्रामीण बैंककें अध्यक्ष’क पुतला जरेलक ग्रामीण बैंक मित्र एसोसिएशन

    0
    236

    दरभंगा, मिथिला मिरर: उत्तर बिहार ग्रामीण बैंक मित्र एसोसिएशनकें आह्वान पर आंदोलन जारी राखल गेल अछि। सात फरवरी सं बैंक मित्र हड़ताल पर छथि। अहि क्रममे पूर्व घोषित कार्यक्रमके अनुसार रविदिन कर्पूरी चौक पर उत्तर बिहार ग्रामीण बैंकके अध्यक्षक पुतला दहन कएल गेल। मौका पर भेल सभाकें संबोधित करैत प्रदेश सचिव प्रकाशचंद्र मिश्र कहलनि जे, बैंकमित्र पिछला चारि साल सं एक सौ रुपैयाक मजदूरी पर काज कए रहल अछि। वर्तमानमे सब भुखमरीक शिकार भय रहल अछि।

    कर्मीक अनुसार बैंक प्रबंधन बैंकमित्रके पर अत्याचार करबा सं बाज नहि आबि रहल छथि। प्रबंधन गत जून व जुलाईमे कएल गेल समझौताक अनुपालन नहि भय रहल अछि। बैंकक योजनाक लाभ लोक तक पहुंचेबा आ बैंकके व्यवसायमे वृद्धिक लेल बैंकमित्र खूब मेहनत करैत अछि, मुदा सरकार अहि दिस ध्यान नहि दय रहल अछि।

    सभाकें संजय पासवान, प्रेम कुमार, सत्यजीत कुमार मिश्र, सुजीत कुमार वत्स, अजीत झा, सत्येंद्र दत्ता, शंकर कुमार चौधरी समेत बहुतो लोक संबोधित केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here