‘मैथिली साहित्य महासभा’ द्वारा मैथिली साहित्यक सम्बर्धन लेल संगोष्ठीक आयोजन

    0
    279

    दिल्ली, मिथिला मिरर: अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसकें अवसर पर मैथिली साहित्य महासभा द्वारा मैथिली साहित्यक सम्बर्धनक लेल 21 फरवरी कए दिल्लीकें 210 दीन दयाल उपाध्याय मार्ग निकट आई टी ओ स्थित राजेन्द्र भवनमे ‘मिथिलाक सांस्कृतिक परम्परामे लोक देवी-देवता’ विषय पर तेसर वार्षिक संगोष्ठीक आयोजन कएल जा रहल अछि। अहि संस्थाक अध्यक्ष संजय झा ‘नागदह’ कहलनि जे, अहि संगोष्ठीमे मैथिली साहित्यक अनेको प्रसिद्ध साहित्यकार जे, कि मैथिली साहित्य अकादमी आ साहित्य अकादमी सं सम्मानित भय चुकल छथि अपन-अपन विचार सं मैथिली प्रेमी के संबोधित करताह। आयोजन तीन चरणमे होयत। जाहिमे पहिल साहित्यिक होएत। जाहिमे संस्था द्वारा स्मारिकाक विमोचन सेहो कएल जाएत। दोसर चरणमे कविता पाठ जाहिमे मैथिलीक दिग्गज कवि कवियित्रि अपन ओजपूर्ण वाणी सं कविता पाठ करताह।

    तेसर चरणमे सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होयत जाहिमे मैथिलीक बहुतो सुप्रसिद्ध गायक-गायिका गीत संगीतक प्रस्तुति देतथि। अहि बीच विद्यापति रचित गोसाउनिक गीत आ छन्द काव्य पर कत्थक नृत्य ह्रदय राय द्वारा प्रस्तुत कएल जाएत। राम चन्द्र मिश्र “मधुकर”डॉ० उदय नारायण सिंह “नचिकेता”मृदुला प्रधानकामिनी कामायिनीचंद्रशेखर पासवानकुमकुम झाजगदानंद झा “मनु‘, महेश झा “डखरामी”, मनीष झा “बौआभाई”कुमारी शुभांगिनी चौधरी मुख्य रूप सं भाग लेताह।

    अहि संगोष्ठीक अध्यक्षता वरिष्ठ साहित्यकार डॉ० उमाकान्त झा करताह। विशेष अतिथिके रूपमे मैथिली-भोजपुरी अकादमीके उपाध्यक्ष कुमार संजॉय सिंह आ सुप्रसिद्ध लोक गायिका विजय भारती भाग लेताह। मैथिली संगीतके प्रसिद्ध गायक विकास झाआनन्द मोहन झा आ अन्य  गायिका विजया भारतीमैथिली ठाकुरअंजू  झा ‘रंगीली भौजी’व अन्य अपन प्रस्तुति देताह। संगीत पर संग देताह “रेड ऑफ़ जी सिक्स” हीरा झा’क टीम।

    कार्यक्रम के स्वागताध्यक्ष पुरनेंदु शेखर झा कार्यक्रमकें सफल बनेबाक लेल लागल छथि। संस्थाक ट्रस्टी विजय झाब्रजेश झासंजीव झाराम कुमार झा आ अन्य मैथिलजन सं कार्यक्रममे भाग लेबाक आग्रह कएल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here