मैथिली साहित्य महासभा’क तेसर वार्षिक संगोष्ठीकें आयोजन कैल्ह

    0
    189

    दिल्ली, मिथिला मिरर: अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसकें अवसर पर मंगल दिन मैथिली साहित्य महासभा द्वारा दिल्लीकेँ कंस्टीट्यूशन क्लबमे तृतीय वार्षिक संगोष्ठीक आयोजन कएल जा रहल अछि। संगोष्ठीक विषय ‘विद्यापति साहित्यमे सामाजिक संदेश’ पर मैथिलीक विद्वतजन द्वारा चर्चा कएल जाएत।

    संगोष्ठी सायंकाल 3 बजे सं 6 बजे धरि आयोजित होयत। संगोष्ठीमे एकटा पोथिक लोकार्पण सेहो कएल जायत। संगोष्ठीक अध्यक्षता साहित्य अकादमी सम्मान सं सम्मानित श्याम दरिहरे करताह। मुख्य अतिथिमे वीरेंद्र मल्लिक, रमेश जी, ऋषि वशिष्ठ, विद्यानंद मिश्र, डॉ. श्रीधरम, मैथिली-भोजपुरी अकादमीक उपाध्यक्ष कुमार संजॉय सिंह तथा देवेंद्र कुमार देवेश आमंत्रित छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here