जन समस्याकें लेल जन अधिकार पार्टी’क प्रदर्शन

    0
    201

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जननायक कर्पूरी ठाकुर’क पुण्यतिथिकें अवसर पर जन अधिकार पार्टी स्थानीय समस्याक लय आंदोलनक शुरुआत केलक अछि। पार्टीकें राष्ट्रीय उपाध्यक्ष अजय कुमार बुलगानीनकें नेतृत्वमे काफी संख्यामे कार्यकर्ता सब कर्पूरी ठाकुरक प्रतिमा पर माल्यार्पण कय बाजारक सड़क पर प्रदर्शन केलक। महनार-बछवाड़ा सड़क तथा पटोरी-धमौन पथकें पूर्ण रूप सं क्षतिग्रस्त हेबाक कारण कार्यकर्ता एकरा पुन: नव निर्माण करेबाक मांग केलक।

    पार्टी किसान प्रकोष्ठके प्रदेश अध्यक्ष सूर्य नारायण सहनीक अध्यक्षता एवं पार्टीके जिला उपाध्यक्ष सह पूर्व उपप्रमुख सत्येन्द्र कुमार रायकें संचालनमे भेल अहि धरनाकें संबोधित करैत पूर्व विधायक अजय कुमार बुलगानीन कहलनि जे, सरकार जन साधारणक समस्या सं पूर्णत: बेखबर अछि, संगहि समस्याक समाधानमे सरकारक कोनो रुचि नहि अछि। शुक्रदिन विभिन्न मांगके समर्थनमे हजारो गोटे सड़क पर उतरल।

    लगभग चारि घंटा धरि चल अहि धरना कार्यक्रममे दर्जनो वक्ता अप्पन बात रखलनि। संगहि प्रतिनिधि व सरकार पर उपेक्षाक आरोप लगेलनि। ई जुलूस स्थानीय धमौन गाम सं निकालल गेल आ अंबेडकर चौक होईत अनुमंडल कार्यालय पर पहुंच कय आक्रोशपूर्ण धरनामे परिवर्तित भय गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here