समस्तीपुर मे 503 बोतल विदेशी शराबक संग तस्कर गिरफ्तार

    0
    177

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बुधदिन ओपी के परसा गाम मे मुर्गी फार्मक समीप एकटा खेत सं 503 बोतल विदेशी शराब बरामद कायल गेल। संगहि एकटा तस्कर के गिरफ्तार कय लेल गेल। ओपी के परसा गाम मे शराबक धंधाक खबरि पुलिस के भेटल छल। अहिके लय डीएसपी अजीत कुमारक निर्देश पर ओपी प्रभारी उदय कुमार सिंहक नेतृत्व मे एकटा टीम गठित कय छापेमारी कराओल गेल छल।

    छापेमारी के दौरान शराब बरामद भेल तथा शराब तस्कर मुकेश कुमार सिह के गिरफ्तार कायल गेल। प्रेस वार्ता मे डीएसपी कहलनि जे, छापेमारी मे 375 एमएल के 455 बोतल एवं 180 एमएल के 48 बोतल शराब भेटल अछि।

    शराब आरएस ब्रांडक अछि जे, हरियाणा निर्मित अछि। पुलिस के अनुसार अहि तस्करी मे संलिप्त लोकक पहचान भय गेल अछि। गिरफ्तार मुकेश कुमार सिंह अप्पन स्वीकारोक्ति बयान मे स्थानीय मुखिया पति रविश कुमार सिंह के सेहो कारोबार मे संलिप्तता बतउलक अछि। अन्य संलिप्त लोकक गिरफ्तारीक लेल छापेमारी जारी अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here