सुरक्षा’क मुद्दा पर डॉक्टरक हड़ताल, ओपीडी बाधित

    0
    211

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: भासा’क आह्वान पर सदर अस्पताल कें डॉक्टरक एक दिवसीय हड़ताल पर रहला सं ओपीडी सेवा बाधित रहल। हड़ताल हाजीपुर मे डॉक्टरक संग भेल मारिपीटक विरोध मे कायल गेल छल। अहि कारण सदर अस्पतालक ओपीडी सेवा बाधित रहल। अहि हड़ताल सं आपातकालीन सेवा आ पोस्टमॉर्टम के बाहर राखल गेल छल।

    भोर मे सब डॉक्टर सिविल सर्जन कार्यालय के समक्ष जमा भय डॉक्टरक सुरक्षाक मांग केलनि आ अहि संबंध मे नारेबाजी केलनि। डॉ. एसके वर्मा कहलनि जे, कार्यस्थल पर डॉक्टरक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक चाही। डॉक्टर पर हमला आम बात अछि। यदि डॉक्टर सुरक्षित नहि अछि त ओ मरीजक सेवा कोना कय सकत।

    ओ कहलनि जे, डॉक्टर अस्पताल मे तय मानक सं अधिक मरीज के देखैत अछि बावजूद डॉक्टर पर हमला दुखद अछि। हाजीपुरक घटना के पुलिस द्वारा अंजाम देल गेल अछि ई अत्यंत दुखद अछि। ऐहेन डॉक्टर ककरा सं अपन सुरक्षाक उम्मीद करत। दरअसल पिछला दिन सेहो डॉक्टर सब विभिन्न जगह पर डॉक्टर के संग मारिपीटक घटना कें लय काला बिल्ला लगा विरोध प्रदर्शन केने छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here