चंदाक रुपैया सं आयल कफन, संस्कारक लेल नहि छल रुपैया त दफनाओल गेल गरीब

    0
    277

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: गरीबक जिंनगीक पैघ सत्य, जीवित रहला प्र खेबाक चिंता आ मरलाक बाद कफन के चिंता। एकटा एहने हृदयविदारक घटना मुजफ्फरपुर के सड़क पर देखबाक लेल भेटल, जतय एकटा वृद्धक लहास के कफन के लेल 8 घंटा इंतजार करय पड़ल आ ओकर बाद दाह संस्कारक रुपैया नहि भेलाक कारने दफना देल गेल।

    घटना मुजफ्फरपुर के मझौली पंचायतक भुसाही चौक स्थित महादलित टोलक अछि, जतय एकटा 64 वर्षीय दिव्यांग भोला मांझी के रविदिन देर राति मौत भय गेल। मृत वृद्धक लेल ग्रामीण चंदा कय 750 रुपैया जुटेलक। जाहि सं कफन त भेटि गेल मुदा दाह-संस्कारक लेल लकड़ीक रुपैया नहि भेल। एहेन मे लाचार परिजन वृद्ध के दफना देलक।

    जीवित रहला तक बैसाखीक सहारे कोनो तरह ओ परिवारक लेल रोटीक जोगाड़ करैत रहल। मुदा मौतक बाद अत्यंत गरीबी स जूझि रहल परिवारक संग मे कफन तक के रुपैया नहि छल। पंचायत सं सेहो तत्काल सहायता नहि भेटल त गामक सौखी मांझी, उमेश मांझी, रंजीत राम समेत अन्य ग्रामीण चंदा कय 750 रुपैया जुटान केलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here