सुपौल मे दू दिना कराटा प्रशिक्षण संपन्न

    0
    311

    सुपौल, मिथिला मिरर: कराटा एसोसिएशन सुपौलक तत्वावधान मे रविदिन स्थानीय पब्लिक लाइब्रेरी एंड क्लबक प्रांगण मे दू दिवसीय प्रशिक्षण कैंपक शुरुआत कायल गेल। प्रशिक्षण कैंपक उद्घाटन रमेश यादव, अशोक कुमार, पंचम साह, मनोज कुमार एवं जदयू नगर अध्यक्ष रवि कुमार उर्फ पप्पू साह द्वारा संयुक्त रूप सं दीप प्रज्ज्वलित कय कायल गेल।

    उद्घाटन समारोह के संबोधित करैत संघक मुख्य संरक्षक रमेश यादव कहलनि जे, कराटा एकटा खेले टा नहि बल्कि एकटा कला सेहो अछि। जाहि सं मनुष्य आसानी सं आत्म रक्षा कय लैत अछि। खासकय बदलैत परिवेश मे त लड़कीक लेल काफी उपयोगी साबित भय रहल अछि। जदयू नगर अध्यक्ष पप्पू साह कहलनि जे, ई प्रशिक्षण शिविर जिलाक प्रतिभावान खिलाडी के सुन्दर भविष्य प्रदान करबा मे अहम भूमिका निमाहैत अछि।

    ओ कहलनि जे, हमरा यैह बच्चा प्रशिक्षण प्राप्त कय अंतर्राष्ट्रीय व ओलम्पिक खेल मे भाग लय जिला आ देशक नाम रोशन करताह। संघक महासचिव हरिओम रजक कहलनि जे, दू दिवसीय अहि प्रशिक्षण मे जिलाक बहुतो प्रतिभागी प्रशिक्षण प्राप्त करताह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here