भारत-नेपाल सीमा पर संयुक्त पेट्रोलिंग

    0
    232

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के मधवापुर मे सीमा पर आतंकी घुसपैठ व शराबक तस्करी पर लगाम लगेबाक मद्देनजर 48 बटालियन एसएसबी, नेपाली एपीएफ बल एवं मधवापुर थाना पुलिसक जवान शनिदिन भारत-नेपाल सीमा पर संयुक्त पेट्रोलिंग केलक। पेट्रोलिंग मे मधवापुर एसएसबी कैंपक जवान, मटिहानी के नेपाली सशस्त्र बल एवं स्थानीय थाना पुलिसक जवान शामिल छल। पेट्रोलिंग के नेतृत्व थानाध्यक्ष अशोक कुमार एवं एसएसबी कैंपक सब इंस्पेक्टर पुरन सिंह संयुक्त रूप सं केलनि।

    संयुक्त पेट्रोलिंग के दौरान नेपाली एपीएफ, थाना पुलिस एवं एसएसबी जवान भारत-नेपाल सीमाक मधवापुर सीमा पिलर संख्या 55 सं 53 परसा गाम धरि तीन किलोमीटर सीमा पर पैदल मार्च केलक। इस क्रम मे जवान सीमाक पिलरक अवलोकन कय सीमा सं सटल भारतीय क्षेत्र मे बसल लोकन के शराबक सेवन नहि करबाक लेल जागरूक केलनि। पेट्रोलिंग के दौरान खासकय महिला के मद्य निषेधक प्रति जागरूक कायल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here