मिथिलाक उपेक्षा कय रहल अछि केंद्र सरकार: कीर्ति आजाद

    0
    206

    मधुबनी, मिथिला मिरर: दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद कहलनि जे, केन्द्र सरकार मिथिलाक उपेक्षा कय। बिहारक भाजपा नेता केन्द्र पर मिथिला मे विकास  के लय दबाब नहि बना पाबि रहल अछि। ओ झंझारपुरक अरड़िया संग्राम मे मीडिया सं बातचीत कय रहल छलाह।

    ओ कहलनि जे, क्रिकेट मे व्याप्त भ्रष्टाचारक ओ विरोध केलनि त भाजपाक शीर्ष पर बैसठ लोक के रास नहि आयल। कीर्ति आजाद कहलनि जे, मिथिला पिछड़ल क्षेत्र अछि, एतय एम्स बनबाक चाही। ओ एम्स नहि बनबाक लेल भाजपाक वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी के जिम्मेदार ठहरौलनि।

    सांसद कहलनि जे, हम अपना स्तर सं मिथिला मे एम्सक स्थापनाक लेल प्रयास कय रहल छी।ओ नोटबंदीक फैसला के सही ठहरौलनि मुदा एकरा लागू करबाक केन्द्र सरकारक तरीका पर सवाल उठेलनि। मौका पर नरेंद्र झा, अखिलेश कुमार, प्रदीप सिंह, कन्हैया पासवान सहित बहुतो लोक मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here