मधुबनी लोक अदालत मे ढाई करोड़ रुपैयाक ऋणक भेल समझौता

    0
    252

    मधुबनी, मिथिला मिरर: राष्ट्रीय विधिक सेवा प्राधिकारक निर्देशानुसार जिला विधिक सेवा प्राधिकारक तहत स्थानीय व्यवहार न्यायालय परिसर मे शनिदिन राष्ट्रीय लोक अदालतक आयोजन कायल गेल। जकर उद्घाटन प्राधिकारक अध्यक्ष सह जिला जज ओम प्रकाश द्वारा कायल गेल। अहि मे बैंक, टेलिफोन विभाग, श्रम विभाग, विद्युत विभाग, वन विभाग सहित अन्य वादाक समझौता के आधार पर निष्पादन कायल गेल।

    विभिन्न बैंकक करीब ढाई करोड़ ऋणक सेटलमेंट के अलावा 80 लाख रुपैयाक वसूली कायल गेल। अहि के लेल सात गोट बैंचक गठन कायल गेल छल। एक मे एडीजे बीके पांडेय व अधिवक्ता अमरनाथ झा, बैंच 2 मे सीजेएम नरेंद्र प्रसाद व अधिवक्ता रेणू कुमारी मिश्रा, बैंच 3 मे अवर न्यायाधीश प्रथम नीरज बिहारी लाल व अधिवक्ता कुमारी मधु रानी, बैंच 4 मे अवर न्यायाधीश पंचम शशिभूषण कुमार व अधिवक्ता सीमा झा, बैंच 5 मे अवर न्यायाधीश छठम रविशंकर व अधिवक्ता शंभू कुमार भगत मौजूद छलाह।

    अहि तरहे बैंच 6 मे मुंसीफ प्रथम विवेक कुमार सिंह व अधिवक्ता सुधीर कुमार झा एवं बैंच 7 मे न्यायिक दंडाधिकारी द्वितीय प्रमोद कुमार महथा व अधिवक्ता वीरेंद्र कुमारक अलावा जिला विधिक सेवा प्राधिकारक प्रभारी सचिव व अपर जिला एवं सत्र न्यायाधीश द्वितीय मो. हसीबुल्लाह अंसारी मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here