सीतामढ़ी मे छेड़खानीक विरोध करबा पर महिलाक पिटाई

    0
    201

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सहियारा थाना क्षेत्रक एकटा गाम मे किछु लोक छेड़खानीक विरोध करबा पर मारिपीट कय महिलाक जख्मी कय देलक। जकरा इलाजक लेल परिजन सदर अस्पताल मे भर्ती करौलनि अछि। इलाजक दौरान पीड़िता नगर थाना पुलिस के बयान दर्ज करौलनि अछि। जाहि मे ग्रामीण कृष्ण कुमार, ओकर पिता विनोद राय सहित एकटा अन्य के आरोपित कायल गेल अछि।

    महिला के कहब अछि जे, बृहस्पति दिन ओ अप्पन दरवज्जा पर मवेशी के दाना पानी दय रहल छल। तखनहि ग्रामीण कृष्ण कुमार गलत नीयत स हाथ पकड़ि लेलक आ कतहु चलबाक इशारा केलक। विरोध करबा पर गाली-गलौज करय लागल। अहि के बाद युवक अप्पन पिता व एकटा अन्य व्यक्तिक संग मिलिकय मारिपीट कय जख्मी कय देलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here