बीपीएससी’क परीक्षा कैल्ह, पटना मे प्रवेश पत्र लेबाक लेल छात्रक हंगामा

    0
    180

    पटना, मिथिला मिरर: बीपीएससी’क परीक्षा रविदिन होबय वला अछि आ उच्च न्यायालयक आदेश के बाद छात्र अप्पन एडमिट कार्डक लेल आय पटना मे बीपीएससी कार्यालय के बाहर बैसक अछि। एडमिट कार्ड लेबय आयल छात्र स पुलिसक झड़प भय गेल जाहि सं छात्र आक्रोशित भय गेल, मुदा बाद मे छात्र के नियंत्रण मे लेल गेल।

    एसएससीक परीक्षा मे धांधली आ सेटिंग के सच सामने इलाके बाद बिहार सरकारक समक्ष आब सब सं पैघ चुनौती 12 फरवरी कय होबय वला बीपीएससीक परीक्षा के साफ सुथरा बनेबाक चुनौती अछि। बीएसएससी’क परीक्षा घोटाला सं बिहारक छवि दागदार भय गेल अछि।

    अहि परीक्षा सं सबक लैत अहि बेर बीपीएससी’क पीटी के परीक्षा मे वीक्षकक संग दण्डाधिकारी के लेल सेहो सरकार सख्त दिशा-निर्देश जारी केलक अछि। नव नियम मे जाहि चीज के शामिल कायल गेल अछि ओहि मे परीक्षा केन्द्र पर सिर्फ केन्द्राधीक्षक के मोबाइल लय जेबाक छूट होयत।

    केंद्राधीक्षक के अलावा सेंटर पर कोनो दण्डाधिकारी, पुलिस अधिकारी या पुलिसकर्मी मोबाइल नहि राखि सकैत अछि। परीक्षाक दौरान यदि ड्यूटी पर कोनो व्यक्ति गैजेट्स या मोबाइलक संग पकड़ल जायत त सीधे कार्रवाई हेबाक संग तुरत गिरफ्तारी हेबाक आदेश जारी अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here