सीतामढ़ी मे 10 सालक बर आ नौ सालक कनियाँ’क कराओल गेल विवाह

    0
    274

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: प्रखंड मुख्यालय मे महादलित समुदायक एकटा विवाह चर्चाक केंद्र बनल। अछि अहि विवाह मे 10 सालक दूल्हा आ नौ सालक दुल्हन अप्पन विवाहक तमाशा देखि रहल छल। नाबालिग दूल्हाक नजरि लोक स मिलैत छल त खुश भय जाइत छल। भीड़ मे ओ कखनो बैंड बाजा दिस देखैत छल त कखनो बैंडक धुन पर नाचैत लोक के।

    सोनबरसा पंचायतक वार्ड-8 मे महादलित समुदायक छोट बस्ती अछि। नदीक कात अहि बस्तीक उपेंद्र मल्लिक के दस सालक पुत्र समुदायक परंपरा मे बान्हल माँथ पर सेहरा सजा नेपालक सर्लाही जिलाक मिर्जापुर गाक लेल निकलि रहल छल।

    दोसर कक्षाक अहि छात्र के ओतय योगेंद्र मल्लिकक 9 वर्षीय पुत्री संग विवाहक बंधन मे बान्हल जेनाइ छल। संग मे बैंड बाजाक संग बरियाती सेहो सजल छल। बरियाती सकुशल कन्या पक्षक घर पहुंचलाल आ बाल विवाह अधिनियमकी धज्जि उड़बैत विवाह कराओल गेल।

    मंगलदिन बरियाती दुल्हन के लय सोनबरसा वापस आबि गेल। पारंपरिक गीत एवं लोक नृत्य स विवाह समारोहक कौतूहल के लोक खूब आनंद लेलक, आ दूल्हा-दुल्हिन ई तमाशा देखैत रहल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here