नियोजित शिक्षकक समान वेतनक लेल मदरसा शिक्षकक प्रदर्शन

    0
    209

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार मदरसा एजुकेशनल प्रोफेशनल वेलफेयर सोसाइटी अप्पन मांगक लेल एक दिवसीय धरना-प्रदर्शन केलक। प्रदर्शनकर्ता सब के कहब छल जे, आवेदन पत्र मे ई बात लिखल अछि जे, मदरसाक शिक्षक के मानव संस्थापन विभाग बिहार सरकारक पत्रांक 162 15 02 2011 के अनुसार सरकारी विधयालय मे नियोजित शिक्षक के बराबर वेतनक सुविधा भेटत। मुदा एहेन नहि भय रहल अछि। जहन कि पडोसी राज्य यूपी मे मदरसाक अध्यापक के हालही मे नियोजित कय सरकारी वेतन देल जा रहल अछि।

    सोसाइटी के अनुसार ने वेतनमान आ ने सातम वेतन पे स्केलक स्वीकृति देल गेल अछि। अहि के अलावा सतावन बेतनमानक सेहो नहि भेटल अछि, अहि के अलावा बहुतो समस्याक लेल बिहार सरकारक ध्यान आकृष्ट करौलक अछि।

    सोसाइटिक मांग छल जे, मदरसा मे सब नियोजित शिक्षकक समान काजक बदले समान वेतन देल जाय।

    फोटो-काल्पनिक

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here