मधुबनी मे महिला के दोकान सं घिचि कय पीटलक

    0
    246

    मधुबनी, मिथिला मिरर: पूर्वक विवाद के लय बेनीपट्टी मे एकटा महिला के ओकर दोकान सं घिचि कय बेरहमी स पीटबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। अहि बाबत पीड़िता बेनीपट्टी मुख्य बाजारक गुलशन खातून बसैठ पंचायतक सरपंच के पति मो. महफूर रहमान उर्फ जिलानी, तनवीर आलम, मो. फैजर रजा तथा रथौस पतौना के सईद अख्तर सहित पांच गोटेक खिलाफ थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलनि अछि। जाहि मे आरोपित पर अंडा दोकान सं घिचि कय मारिपीट कय जख्मी करबाक आरोप अछि।

    प्राथमिकी मे आरोप लगाओल गेल अछि जे, गुलशन खातून बाजारक उप डाकघर के निकट अंडाक दोकान पर पति मो. अंसारक संग बैसल छल। अहि बीच बसैठ पंचायतक सरपंच पति मो. महफूर रहमान उर्फ जिलानी अप्पन सहयोगिक संग पहुँचि गेल। जतय बेनीपट्टी थाना एवं पंचायत मे तय कायल गेल मामला के लय बातचीत भेल। अहि पर दूनू पक्ष मे विवाद बढ़ला पर मो. जिलानी अप्पन समर्थकक संग महिला गुलशन खातूनक दोकान सं बाहर घसीटैत बाजारक सड़क पर मारिपीट शुरू कय देलक।

    घटना स बाजारक उप डाकघर स थाना चौक तक लोकक भीड़ जमा भय गेल। पिटाई स आक्रोशित लोकक भीड़ थाना परिसर मे पहुंच गेल। अहि घटनाक सूचना पुलिस के देल गेल त बेनीपट्टी थानाक अनि हरेंद्र कुमार सिंह बाजारक पहुँच कय मामलाक छानबीन मे लागल छथि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here