दरभंगा मे सुरक्षाक बीच महावीरी झंडा महोत्सव संपन्न

    0
    225

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के रेवढा गाम मे भारी सुरक्षा व्यवस्थाक बीच बृहस्पतिदिन महावीरी झंडा महोत्सव संपन्न भेल। कुल 17 स्थान पर दंडाधिकारी के नेतृत्व मे पुलिस बलक तैनाती कायल गेल छल। महोत्सव संपन्न भेला तक पुलिस गश्त करैत रहल। गाम स्थित ठाकुरबाड़ी मे पूजा अर्चनाक लेल लोक चारि बजे घर सं निकलि गेल।

    महावीरी झंडा 31 तल्लाक बनल छल। सब तल्ला मे भगवानक मूर्ति स्थापित कायल गेल छल। पंक्तिबद्ध भयकय लोक विभिन देवी देवताक पूजा अर्चना कायल गेल। पूजा स्थल पर बजरंग बलीक पैघ प्रतिमाक समीप छोट-छोट प्रतिमा स्थापित कायल गेल छल। अहिके बाद मंदिर स जुलूस निकालल गेल। अहि जुलूस मे एक दर्जन स अधिक अखाड़ाक खिलाड़ी हिस्सा लेलक। जे परंपरागत हथियार स लैस छल।

    अहि महोत्सव मे मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, शिवहर, मधुबनी, सहरसा, सुपौल, मोतिहारी सहित नेपालक सैकड़ो श्रद्धालु हिस्सा लेलनि। महावीरी झंडा व महावीरी पताकाक लय लोक जयशिव जयशिव व बजरंगबलीक जयकारा लगा रहल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here