बाहर मे शौच मुक्ति’क लेल मशाल जुलूस निकालल गेल

    0
    214

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: जिलाक सिघाचौड़ी पंचायतक ‘बाहर मे शौच सं मुक्त’ करेबाक लेल बुधदिन साँझ मुखिया मोहम्मद निजामुद्दीन उर्फ नूरक नेतृत्व मे मशाल जुलूस निकालल गेल। मशाल जुलूस मे शामिल हुकुमदेव नारायण यादव, सामाजिक कार्यकर्ता राजाराम पंडित, सरपंच महेंद्र प्रसाद, उप मुखिया विनोद राय, किशोरी राय, वकील राय, रामनाथ ठाकुर, मिथिलेश ठाकुर, सुरेंद्र मंडल, उपेंद्र पंडित, शिक्षक सरोज कुमार, मुकेश ठाकुर, विलास राम समेत सैकड़ो लोक सड़क पर शौच केनाय पाप अछि, जाहि घर मे शौचालय नहि ओकर सत्यानाश अछि आदि नारा लगेलनि आ लोक के जागरूक करैत पंचायत के स्वच्छ रखबाक अपील केलनि।

    जनप्रतिनिधी एवं प्रबुद्ध लोक सुंदर एवं स्वच्छ पंचायतक निर्माणक लेल लोक स हर घर मे पांच मार्च तक शौचालय निर्माण करेबाक आहवान केलनि। सिघाचौड़ी बाजार स निकलल मशाल जुलूस गामक विभिन्न सड़क एवं मोहल्ला मे भ्रमण कय लोक के बाहर मे शौच स मुक्त करेबाक लेल जागरूक केलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here