भनसा घर मे सिलेंडर सं लागल आगि, तीन गोटेक हालात गंभीर

    0
    411

    मधुबनी, मिथिला मिरर: शहरक वीणा कुंज कालोनी निवासी अधिवक्ता शशिधर ठाकुरक घर मे रसोई गैस सिलेंडर सं लागल आगि मे शशिधर ठाकुरक पत्नी रानी ठाकुर, पुत्री श्वेता कुमारी व भाई मुरलीधर ठाकुर झुलसि कय गंभीर रूप सं जख्मी भय गेल अछि। जानकारीक अनुसार सोमदिनक राति भनसा घर मे खाना बनेबाक दौरान गैस सिलेंडर लीक हेबा सं आगि लागि गेल।

    आगि पर काबू करबाक प्रयास मे रानी झूलसि गेली। अहि क्रम मे बचाव कय रहल पुत्री श्वेता व भाई मुरलीधर झुलसलाक कारने जख्मी भय गेल। आगिक लपट वला सिलेंडर के कहूना बाहर फेंकल गेल। गंभीर रूप स झुलसल रानी ठाकुर व श्वेता कुमारी के स्थानीय सदर अस्पताल आनल गेल जतय सं डीएमसीएच रेफर कायल गेल। हालात गंभीर भेलाक कारण ओतय सं दुनू के पटना अपोलो बर्न हास्पीटल पठाओल गेल।

    ओतहि मामूली रूप स झुलसल मुरलीधर ठाकुरक इलाज सदर अस्पताल मे चलि रहल अछि। घटनाक सूचना पर फायर ब्रिगेडक टीम घटनास्थल पर पहुंचल, मुदा ता धरि मोहल्लाक लोक कोनो तरह आगि पर काबू पाबि लेने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here