मधुबनी मे राष्ट्रीय व्यापार मेला’क आयोजन 9 सं 21 फरवरी धरि

    0
    175

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मडघुबनी के टाउन क्लब मैदान मे आगामी 9 फरवरी सं 21 फरवरी तक रेशम बुनकर खादी ग्रामोद्योग भागलपुर के सौजन्य सं राष्ट्रीय व्यापार मेलाक आयोजन कायल गेल अछि। अहि बैठक जानकारी दैत जनसंपर्क पदाधिकारी ऋषिराज सिंह, कार्यक्रम समन्वयक शब्बीर अहमद व सचिव अलीम अंसारी कहलनि जे, हमार संस्था रेशम बुनकर खादी ग्रामोद्योग भागलपुर द्वारा एतय प्रथम राष्ट्रीय व्यापार मेला सह नेशनल एक्स्पो 2017’क आयोजन कय रहल अछि।

    अहि मे हैंडलूम, हैंडीक्राफ्ट, दैनिक उपयोगक वस्तुक बिक्री सह प्रदर्शनी कायल जायत। संस्था गत 25 वर्ष स हस्तकरघा, रेशम बुनकर, कुटीर उद्योग, सूक्ष्म उद्योग व हस्तशिल्प स जुड़ल लोक के विभिन्न शहर मे अहि के माध्यम स स्वरोजगार उपलब्ध करबैत अछि। अहि में यूपी, दिल्ली, हरियाणा, राजस्थान, पंजाब, गुजरात, महाराष्ट्र, तेलांगना, मध्य प्रदेश, झारखंड व पश्चित बंगाल आदि के उद्यमी स्टॉल लगेबाक लेल आबि रहल छथि।

    मेला मे ग्रामीण व शहरी परिवेशक उपयोगी वस्तु के अलावा हैंडलूम व हैंडीक्राफ्टक पर्दा, बेडशीट, रजाई, कुशन कवर, सोफा सेट, डायनिग टेबल, कृषि संबंधित वस्तु, इलेक्ट्रानिक उत्पाद, चमडाक उत्पाद, भागलपुरी सिल्क, सलवार सूट, साड़ी, कश्मीरी पशमीना शॉल, जैकेट, आयुर्वेदिक दवाई समेत अन्य उत्पाद लगाओल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here