दरभंगा स्टेशन सं चारि टा बाल मजदूर मुक्त, दलाल गिरफ्तार

    0
    195

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जंक्शन पर मंगलदिन आरपीएफ दिस सं चलाओल गेल विशेष अभियान मे चारि टा बाल मजदूर के मुक्त कराओल गेल तथा एकटा दलाल के गिरफ्तार कायल गेल। दलालक नाम मो. राजीक बताओल जा रहल अछि। ओ सदर थाना क्षेत्रक ठकुरूनिया गाम निवासी मो. एनुल के पुत्र अछि।

    पूछताछ के दौरान ओ कहलक अछि जे, सब बच्चा के बंगलुरू जाय वला बागमती एक्सप्रेस स विजयवाड़ा लय जेबाक तैयारी छल। मुक्त कराओल गेल सब बच्चा रैयाम थाना क्षेत्रक रहय वला अछि। मो. राजीक बहुत दिन सं बच्चा के गामक चक्कर लगा रहल छल। बच्चाक माता-पिता के बहुतो तरहक प्रलोभन देने छल। बच्चा सब कहलक अछि जे, सब के पांच सौ स हजार रुपैया प्रतिमाह दिहाड़ी देबाक बात कहलक अछि।

    इंस्पेक्टर अजय प्रकाश के अनुसार ट्रेन के खुजबा सं पहिने चलाओल गेल चेकिंग अभियान के दौरान स्टेशन पर बच्चा के देखकय शंका भेल। पूछताछ कायल गेल त सब अप्पन गाम रैयाम थाना क्षेत्र बतौलक। बच्चा के लय जाय वला युवक सदर थाना क्षेत्रक रहय वला अछि। पूछताछ के दौरान बाल मजदूर के रूप मे बच्चा के दलाली करय वला युवक भागबाक प्रयास केलक। मुदा आरपीएफ के जवान ओकरा पकड़ि लेलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here