मुजफ्फरपुर मे वर्चस्वक लड़ाई मे चारि राउंड फायरिंग

    0
    186

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के शुक्ला रोड रेडलाइट इलाका मे मंगलदिन भोरे वर्चस्वक लड़ाई मे बहुतो राउंड फायरिंग भेल। ककरो हताहत हेबाक सूचना नहि अछि। जानकारी पर नगर थानाक पुलिस मौका पर पहुंचकय छानबीन केलनि। मुदा कियो पुलिस मे लिखित शिकायत नहि दर्ज करौलक।

    एम्हर, बताओल गेल जे, भोर मे स्मैक खरीद-बिक्रीक दौरान दू गोट युवक मे विवाद भेल। स्मैक बेचय वला अधिक रुपैयाक मांग कय रहल छल। अहि बात पर दूनू उलझी गेल। खरीददार दुकानदार के पुलिस के बतेबाक धमकी देलक। जाहि पर विवाद आगू बढ़ल। अहि दौरान युवक बन्दुक सं हवा मे तीन-चारि राउंड फायरिंग केलक। फायरिंग के बाद अफरातफरी मचि गेल।

    पुलिसक कहब अछि जे, मारिपीटक बात सामने आयल अछि। फायरिंग के घटनाक पता नहि चलि सकल अछि। लोक सब के पुलिस दिस सं चेतावनी देल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here