डीलरक मनमानी’क विरुद्ध प्रखंड कार्यालयक घेराव

    0
    220

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: प्रखंडक पठनपुरा पंचायत के वार्ड-11 सं 14 के जन वितरण प्रणालीक विक्रेता के मनमानीक विरुद्ध मंगलदिन ग्रामीण सब प्रखंड कार्यालय के घेराव कय जमिकय हंगामा केलनि। ग्रामीण डीलरक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कराबय पर अड़ल छल। बाद मे प्रदर्शनकारी एमओ कार्यालय मे मांग पत्र सौंपिकय कार्रवाईक मांग केलनि।

    ग्रामीणक अनुसार वार्ड-11 सं 14 तक के डीलर राजू प्रसाद द्वारा दिसंबर महिनाक राशनक वितरण करबाक दौरान दिसंबर आ जनवरी दूनू महिनाक कूपन जमा कायल जा रहल छल। जहन कि राशन सिर्फ एक महिनाक देल जा रहल अछि। लाभुक द्वारा पूछय पर डीलर प्रसाद द्वारा दु‌र्व्यवहार कायल जाइत अछि।

    मंगलदिन डीलर के व्यवहार स क्षुब्ध सैकड़ो लोक पठनपुरा पंचायतक पूर्व मुखिया अब्दुल अहद उर्फ फकीराक नेतृत्व मे थाना पहुंचकय डीलरक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करेबाक मांग केलक अछि। थानाध्यक्ष अजय कुमार प्रखंड कार्यालय जाकय शिकायत करबाक लेल कहलक अछि। अहि के बाद आक्रोशित लोक प्रखंड कार्यालय पहुंचकय हंगामा करय लागल।

    बाद मे बीडीओ, सीओ व प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारीक अनुपस्थिति मे आपूर्ति विभागक सहायक ब्रिकेश कुमार के अपना मांग-पत्र सौंपलक। मांग-पत्रक प्रतिलिपि जिलाधिकारी, एसडीओ व बीडीओ के निबंधित डाकक माध्यम स पठाओल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here