सीतामढ़ी मे तरंग प्रतियोगिताक दौरान निर्णायक मंडल सं नोंकझोंक

    0
    225

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: खड़का उच्च विद्यालय प्रांगण मे आयोजित प्रखंड स्तरीय तरंग प्रतियोगिता मे विजेताक चयन के लय शिक्षक आपस मे उलझि गेलाह। मध्य विद्यालय बोखड़ा हरिजन के प्रधान शिक्षक मिथिलेश कुमार सुगम संगीत प्रतियोगिता मे विजेता के चयन पर सवाल उठबैत निर्णायक बनल शिक्षक राकेश कुमार पर पक्षपात करबाक आरोप लगौलनि। जाहि के लेल शिक्षकक बीच नोंकझोंक शुरू भय गेल। बाद मे बीईओ रामवृक्ष सिंह व संचालनकर्ता पंकज किशोर पवन के हस्तक्षेप स मामला शांत भेल।

    प्रखंड स्तरीय तरंग प्रतियोगिता मे प्रखंड क्षेत्रक छह संकुल मे भेल संकुल स्तरीय प्रतियोगिता मे चयनित सैकड़ो छात्र-छात्रा भाग लेने छल। कुल 68 बच्चा के चयन जिलास्तरीय प्रतियोगिताक लेल चयन कायल गेल छल। अहि मे सौ मीटर व 400 मीटर दौड़, लंबी कूद, ऊंची कूद, सुगम संगीत, क्वीज, कविता लेखन समेत कुल 13 स्पर्धा शामिल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here