रामाकांत चौधरी कें भेटलनि ‘ललित सम्मान’

    0
    184

    दिल्ली, मिथिला मिरर: वरिष्ट पत्रकार एवं समाजसेवी रामाकांत चौधरी के ललित दिवस के अवसर पर ललित सम्मान सं सम्मनित कायल गेल। रामाकांत चौधरी के ई सम्मान हुनकर पत्रकारिता एवं सामाजिक काज में उत्कृष्ट योगदानक लेल मिथिलालोक फॉण्डेशन द्धारा देल गेल। दिल्ली के विनोद नगर मे स्वर्गीय ललित नारायण मिश्रा कें जन्मदिन पर ललित दिवस केर रूप मे मनाओल गेल।

    मिथिलालोक फाउंडेशन दिस सँ रामाकांत चौधरी के सम्मान दैत प्रसिद्ध साहित्यकार डॉ. शेफालिका वर्मा एवं डॉ. गंगेशगुंजन कहलनि जे, ललित सम्मान सं सम्मानित भेनाय ककरो लेल गौरवक बात अछि।

    पूर्व प्रधानमंत्री डॉ. मनमोहन सिंह एकटा पत्रक माध्यम सं कार्यक्रम के प्रशंसा केलनि एवं कहलनि जे, ललित बाबु के अधीन हमरा काज करबाक सौभाग्य भेटल अछि। ललित सम्मान के स्वरूप मे चौधरी कें मिथिलाक पाग, दोपटा एवं प्रसस्ति पत्र देल गेलनि।

    अहि अवसर पर मिथिलालोक फॉण्डेशनक चेयरमैन डॉ. बीरबल झा कहलनि जे, ललित बाबु दूरदर्शी, ओजस्वी एवं राजनेता छलाह। सम्पूर्ण मिथिले टा नहि पुरा देश के हुनका पर गर्व अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here