मिथिलांचलक विकास के अलख जगेबाक लेल निकलल एमएसयू’क साईकिल यात्रा

    0
    322

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक अंबेडकर चौक पर बाबा साहेब डाॅ0 भीम राव के प्रतिमा पर माल्यार्पण कय मिथिला स्टूडेंट यूनियन के बहुप्रतिक्षित साईकिल यात्रा आरम्भ कायल गेल। अहि साईकिल यात्राक उद्देश्य मिथिला क्षेत्रक मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर के गाम-गाम मे जा कय आम नौजवानक बीच विकासक प्रति ललक जगेबाक अछि तथा वैचारिक क्रांति के माध्यम स एकटा सम्पन्न मिथिलाक निर्माण करब अछि।

    यूनियन के मधुबनी प्रभारी रंधीर झा कहलनि जे, घर-घर मे गरीबी, विपन्नता भुखमरी, बेरोजगारी जे पसरल अछि ओकरा दूर करबाक लेल युवा के संगठित भय अप्पन हक के लेल आवाज उठाबय पड़त। यूनियन के बिहार प्रभारी अविनाश भारद्वाज कहलनि जे, आब समय आबि गेल अछि जे, सम्पूर्ण मिथिला क्षेत्रक बंद पड़ल चीनी मिल फेर सं शुरू कराओल जाय। जिलाध्यक्ष राघवेंद्रएलएनएमयू के शैक्षणिक व्यवस्था पर युवाक ध्यान आकृष्ट करौलनि।

    मिडिया प्रभारी मनोहर मधुबनी जिला मे केन्द्रीय विधालयक लेल युनियन द्वारा 07 फरवरी कय विशाल रैली निकालबाक जानकारी देलनि। साईकिल यात्रा के सक्रीय सदस्य सागर नवदिया साईकिल यात्राक जानकारी दैत कहलनि जे, ई यात्रा मिथिला मे युवा के जागृति करबाक लेल निकलल अछि। मौका पर मिथिला स्टुडेंट यूनियन के दरभंगा प्रभारी गोपाल चौधरी, सुनील महतो, चंदन कुमार, प्रवेश झा, सुजीत, बलराम यादव, आलोक आदि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here